सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं
अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे जीतलक बेस्ट क्रिटिक अवार्ड पटना । बिहार क लोकप्रिय व्यंजन लिट्टी सिंगापुर मे चलि रहल अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे अपन स्वाद क लोहा मनबा लेलक। समीक्षक मंडली लिट्टी पर लड्डू होइत एकरा बेस्ट क्रिटिक अवार्ड स सम्मानित केलथि अछि। सिंगापुर मे चलि रहल दस दिन क एहि महोत्सव क छठम दिन पटना क अशोक शाह क नाम जखन बेस्ट क्रिटिक अवार्ड लेल घोषित कैल गेल त ओहि ठाम उपस्थित बिहार मूल क करीब 200 गोटे आ भारतीय टीम क लोक खुशी स नाचए लगलाह। दुनिया भरि क एक स एक लजीज व्यंजन क बीच भारतीय पकवान कए पुरस्कार भेटला स उत्साहित इ सब महोत्सव मे भारत क नारा ‘आइये, आइये भारत के स्ट्रीट फूड आजमाइये’लगेलाह। ज्ञात हो जे पटना मे गांधी मैदान लग बिस्कोमान टावर क सामने रेहड़ी लगेनिहार शाह क स्टाल पर शाही लिट्टी बिका रहल अछि, जेकरा दुनिया भरि स आयल लोक चटखारा ल कए खा रहल छथि। भारतीय टीम क नेतृत्व क रहल रेहड़ी पटरी क राष्ट्रिय  संगठन नेशनल एसोसिएशन आफ स्ट्रीट वेंडर्स आफ इंडिया (नासवी) क अंतर्राष्ट्रीय समन्वयक अरबिंद सिंह कहला अछि ले लिट्टी क स्टॉल पर पैघ संख्या मे लोक आबि रहल छथि। उल्लेखनीय अछि जे नासवी दिस स पिछला दिसंबर मे दिल्ली मे आयोजित तीन दिन क स्ट्रीट फूड फेस्टिवल मे शाह करीब डेढ लाख टकाक कारोबार केने छलाह आ हुनका पहिल पुरस्कार भेटल छल। सिंगापुर पर्यटन बोर्ड आ रेहडी -पटरी संघ क एहि आयोजन मे चीन के नूडल्स मी सियाम, फेनांग रोजाक, मलेशिया क आसाम लक्सा, मेक्सिको क तोस्तादा आ फिश टाको, अमेरिका क केकडा क बर्गर , वियतनाम क बान्ह खोत बान्ह झियो , वियतनाम क चुओई नुआंग आ सिंगापुर क वी नाम क, पुलु मयाम, अप्पम, रोजाक आ चेंग थग कए सिंगापुरी आ दुनिया क अन्य हिस्सा स आयल लोक रसास्वादन क रहल छथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

भूमिहीन कए भेटल 2 लाख 60 हजार एकड़ क पर्चा पर्चाधारी डेढ़ लाख परिवार कए नहि भेटल जमीन पर हक नर्मदा कुमारी पटना : भूदान क जमीन पर दबंग क कब्जा बरकरार अछि, मुदा ओहि स बेसी गंभीर सवाल अछि जे आखिर भूदान क जमीनक खाता सरकार लग किया नहि अछि। बिहार राज्य भू-दान कमेटी क अध्यक्ष शुभमूर्ति सेहो एहि गप स सहमत छथि। हुनकर मानि त आब मात्र पांच-छह सौ एकड़ भूमि बांटबा लेल बचल अछि। ज्ञात हुए जे राज्य मे भू-दान क तहत 6 लाख 48 हजार एकड़ भूमि उपलब्ध कराउल गेल छल। जाहि मे दरभंगा महाराज डा कामेश्वर सिंह असगर 51 हजार एकड जमीन दान केने छलाह। कुल भूदानक जमीन मे स 2 लाख 60 हजार एकड़ भूमि क पर्चा भूमिहीन कए देल जा चुकल अछि। जखन कि तीन लाख 80 हजार एकड़ भूमि क संबंध मे स्पष्ट जानकारी सरकार लग नहि अछि। सरकारक कहब अछि जे दाता ओहन जमीन सेहो दान देने छथि जे नदी, नाला आ पहाड़ अछि। सरकारक एहि दावा क बावजूद प्राप्त जानकारी क अनुसार तीन लाख 80 हजार मे स एखन तक केवल एक लाख तीन हजार एकड़ भूमि क संपुष्टि सरकार क सकल अछि, भूदान क 2 लाख 77 हजार एकड़ जमीन एखनो लापता अछि। ओना तत्कालीन भूमि सुधार आयोग क अध्यक्ष डी बंद्योपाध्या...