सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

संदेश

2013 की पोस्ट दिखाई जा रही हैं
पटना : बिहार मे बिजली क कमी दूर करबा लेल आ माछ उत्पादन मे राज्य कए आत्मनिर्भर करबा लेल सरकार पोखरि मे माछ आ ऊपर सोलर प्लेट स बिजली उत्पादन करबा लेल प्रक्रिया शुरू क देलक अछि। गामक छोट-पैघ पोखरि मे बहुत जल्द माछ उत्पादन क संग संग बिजली उत्पादन सेहो देखबा लेल भेटत। पशु आ मत्स्य विभाग क अधिकारी क कहब अछि जे एकरा लेल बिहार स्टेट पॉवर होल्डिंग कंपनी आॅनलाइन टेंडर निकाललक अछि आ जल्द इ योजना देखबा लेल भेटत। एहि योजना कए लागू भेला स पोखरिक अधिकतावाला मिथिला मे सस्ता आ निर्बाध बिजली कसंग संग माछ क स्वाद सेहो भेटत। ओ कहला जे पोखरि क ऊपर अलग किस्म क पैघ- पैघ सोलर प्लेट लगाउल जाएत आ नीचा माछ पोसल जाएत। वर्तमान वित्त वर्ष मे 200 स बेसी पोखरिक चयन कैल जाएत जाहि स 250 मेगावाट बिजला उत्पादन क लक्ष्य राखल गेल अछि। एकटा अन्य अधिकारी क कहब अछि जे एहि स केवल बिजली या माछ क उत्पादन नहि बढत बल्कि पैघ संख्या मे स्वरोजगार सेहो भेटत। अगर इ योजना सफल भ जाइत अछि त भविष्य मे पुरान आ जीर्ण-शीर्ण पोखरि मे सेहो इ योजना लागू कैल जा सकत। अधिकारी कहला जे टेंडर निकाबा स पूर्व सरकार एहि योजना पर काफी शोध केलक अछि। समस...
अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे जीतलक बेस्ट क्रिटिक अवार्ड पटना । बिहार क लोकप्रिय व्यंजन लिट्टी सिंगापुर मे चलि रहल अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे अपन स्वाद क लोहा मनबा लेलक। समीक्षक मंडली लिट्टी पर लड्डू होइत एकरा बेस्ट क्रिटिक अवार्ड स सम्मानित केलथि अछि। सिंगापुर मे चलि रहल दस दिन क एहि महोत्सव क छठम दिन पटना क अशोक शाह क नाम जखन बेस्ट क्रिटिक अवार्ड लेल घोषित कैल गेल त ओहि ठाम उपस्थित बिहार मूल क करीब 200 गोटे आ भारतीय टीम क लोक खुशी स नाचए लगलाह। दुनिया भरि क एक स एक लजीज व्यंजन क बीच भारतीय पकवान कए पुरस्कार भेटला स उत्साहित इ सब महोत्सव मे भारत क नारा ‘आइये, आइये भारत के स्ट्रीट फूड आजमाइये’लगेलाह। ज्ञात हो जे पटना मे गांधी मैदान लग बिस्कोमान टावर क सामने रेहड़ी लगेनिहार शाह क स्टाल पर शाही लिट्टी बिका रहल अछि, जेकरा दुनिया भरि स आयल लोक चटखारा ल कए खा रहल छथि। भारतीय टीम क नेतृत्व क रहल रेहड़ी पटरी क राष्ट्रिय  संगठन नेशनल एसोसिएशन आफ स्ट्रीट वेंडर्स आफ इंडिया (नासवी) क अंतर्राष्ट्रीय समन्वयक अरबिंद सिंह कहला अछि ले लिट्टी क स्टॉल पर पैघ संख्या मे...
भूमिहीन कए भेटल 2 लाख 60 हजार एकड़ क पर्चा पर्चाधारी डेढ़ लाख परिवार कए नहि भेटल जमीन पर हक नर्मदा कुमारी पटना : भूदान क जमीन पर दबंग क कब्जा बरकरार अछि, मुदा ओहि स बेसी गंभीर सवाल अछि जे आखिर भूदान क जमीनक खाता सरकार लग किया नहि अछि। बिहार राज्य भू-दान कमेटी क अध्यक्ष शुभमूर्ति सेहो एहि गप स सहमत छथि। हुनकर मानि त आब मात्र पांच-छह सौ एकड़ भूमि बांटबा लेल बचल अछि। ज्ञात हुए जे राज्य मे भू-दान क तहत 6 लाख 48 हजार एकड़ भूमि उपलब्ध कराउल गेल छल। जाहि मे दरभंगा महाराज डा कामेश्वर सिंह असगर 51 हजार एकड जमीन दान केने छलाह। कुल भूदानक जमीन मे स 2 लाख 60 हजार एकड़ भूमि क पर्चा भूमिहीन कए देल जा चुकल अछि। जखन कि तीन लाख 80 हजार एकड़ भूमि क संबंध मे स्पष्ट जानकारी सरकार लग नहि अछि। सरकारक कहब अछि जे दाता ओहन जमीन सेहो दान देने छथि जे नदी, नाला आ पहाड़ अछि। सरकारक एहि दावा क बावजूद प्राप्त जानकारी क अनुसार तीन लाख 80 हजार मे स एखन तक केवल एक लाख तीन हजार एकड़ भूमि क संपुष्टि सरकार क सकल अछि, भूदान क 2 लाख 77 हजार एकड़ जमीन एखनो लापता अछि। ओना तत्कालीन भूमि सुधार आयोग क अध्यक्ष डी बंद्योपाध्या...
औरंगाबाद । बिहार क बिजली समस्या क निराकरण आब धीरे-धीरे देखा रहल अछि। औरंगाबाद जिला क नवीनगर लग स्थापित भ रहल भारतीय रेल बिजली कंपनी क थर्मल पावर परियोजना क पहिल इकाई स जून 2014 स बिजली उत्पादन प्रारंभ भ जाएत।  भारतीय रेल बिजली कंपनी क मुख्य कार्यकारी अधिकारी केके सिंह परियोजना क तेसर इकाई क वाँयलर ड्रम संस्थापन क बाद आयोजित समारोह मेकहला जे परियोजना क निर्माण मे लागल सबटा कंपनी कए तेजी स काज पूरा करबाक निर्देश देल गेल अछि। परियोजना क पहिल इकाई स 250 मेगावाट बिजली उत्पादन अगिला साल जून स शुरू भ जाएत। जखनकि अन्य तीनटा इकाई स छह-छह माह क अंतराल पर बिजली उत्पादन शुरू करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। श्री सिंह कहला जे एहि परियोजना मे कुल चारिटा इकाई स्थापित कैल जा रहल अछि आ प्रत्येक इकाई स 250 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। ओ कहला जे एहि परियोजना स रेलवे आ बिहार दूनू कए पर्याप्त बिजली भेटत। संगहि एहि परियोजना क माध्यम स आसपास क इलाका कए सेहो विकास होएत आ स्थानीय लोक कए प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष रूप स रोजगार भेटत। परियोजना स्थल पर 133 मीट्रिक टन स बेसी भार क ब्वायलर ड्रम क आइ 59 मीटर क उंचाई पर ...