पटना : बिहार मे बिजली क कमी दूर करबा लेल आ माछ उत्पादन मे राज्य कए आत्मनिर्भर करबा लेल सरकार पोखरि मे माछ आ ऊपर सोलर प्लेट स बिजली उत्पादन करबा लेल प्रक्रिया शुरू क देलक अछि। गामक छोट-पैघ पोखरि मे बहुत जल्द माछ उत्पादन क संग संग बिजली उत्पादन सेहो देखबा लेल भेटत। पशु आ मत्स्य विभाग क अधिकारी क कहब अछि जे एकरा लेल बिहार स्टेट पॉवर होल्डिंग कंपनी आॅनलाइन टेंडर निकाललक अछि आ जल्द इ योजना देखबा लेल भेटत। एहि योजना कए लागू भेला स पोखरिक अधिकतावाला मिथिला मे सस्ता आ निर्बाध बिजली कसंग संग माछ क स्वाद सेहो भेटत। ओ कहला जे पोखरि क ऊपर अलग किस्म क पैघ- पैघ सोलर प्लेट लगाउल जाएत आ नीचा माछ पोसल जाएत। वर्तमान वित्त वर्ष मे 200 स बेसी पोखरिक चयन कैल जाएत जाहि स 250 मेगावाट बिजला उत्पादन क लक्ष्य राखल गेल अछि। एकटा अन्य अधिकारी क कहब अछि जे एहि स केवल बिजली या माछ क उत्पादन नहि बढत बल्कि पैघ संख्या मे स्वरोजगार सेहो भेटत। अगर इ योजना सफल भ जाइत अछि त भविष्य मे पुरान आ जीर्ण-शीर्ण पोखरि मे सेहो इ योजना लागू कैल जा सकत। अधिकारी कहला जे टेंडर निकाबा स पूर्व सरकार एहि योजना पर काफी शोध केलक अछि। समस...