सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं
औरंगाबाद । बिहार क बिजली समस्या क निराकरण आब धीरे-धीरे देखा रहल अछि। औरंगाबाद जिला क नवीनगर लग स्थापित भ रहल भारतीय रेल बिजली कंपनी क थर्मल पावर परियोजना क पहिल इकाई स जून 2014 स बिजली उत्पादन प्रारंभ भ जाएत।  भारतीय रेल बिजली कंपनी क मुख्य कार्यकारी अधिकारी केके सिंह परियोजना क तेसर इकाई क वाँयलर ड्रम संस्थापन क बाद आयोजित समारोह मेकहला जे परियोजना क निर्माण मे लागल सबटा कंपनी कए तेजी स काज पूरा करबाक निर्देश देल गेल अछि। परियोजना क पहिल इकाई स 250 मेगावाट बिजली उत्पादन अगिला साल जून स शुरू भ जाएत। जखनकि अन्य तीनटा इकाई स छह-छह माह क अंतराल पर बिजली उत्पादन शुरू करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। श्री सिंह कहला जे एहि परियोजना मे कुल चारिटा इकाई स्थापित कैल जा रहल अछि आ प्रत्येक इकाई स 250 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। ओ कहला जे एहि परियोजना स रेलवे आ बिहार दूनू कए पर्याप्त बिजली भेटत। संगहि एहि परियोजना क माध्यम स आसपास क इलाका कए सेहो विकास होएत आ स्थानीय लोक कए प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष रूप स रोजगार भेटत। परियोजना स्थल पर 133 मीट्रिक टन स बेसी भार क ब्वायलर ड्रम क आइ 59 मीटर क उंचाई पर सफलतापूर्वक संस्थापन कैल गेल। एहि अवसर पर जीलियन इन्प्रा प्राइवेट लिमिटेड क महाप्रबंधक एचसी वर्मा भेल क परियोजना प्रबंधक अरविंद दास आ जदयू क वरिष्ठ नेता संजीव कुमार सिंह उपस्थित छलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे जीतलक बेस्ट क्रिटिक अवार्ड पटना । बिहार क लोकप्रिय व्यंजन लिट्टी सिंगापुर मे चलि रहल अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे अपन स्वाद क लोहा मनबा लेलक। समीक्षक मंडली लिट्टी पर लड्डू होइत एकरा बेस्ट क्रिटिक अवार्ड स सम्मानित केलथि अछि। सिंगापुर मे चलि रहल दस दिन क एहि महोत्सव क छठम दिन पटना क अशोक शाह क नाम जखन बेस्ट क्रिटिक अवार्ड लेल घोषित कैल गेल त ओहि ठाम उपस्थित बिहार मूल क करीब 200 गोटे आ भारतीय टीम क लोक खुशी स नाचए लगलाह। दुनिया भरि क एक स एक लजीज व्यंजन क बीच भारतीय पकवान कए पुरस्कार भेटला स उत्साहित इ सब महोत्सव मे भारत क नारा ‘आइये, आइये भारत के स्ट्रीट फूड आजमाइये’लगेलाह। ज्ञात हो जे पटना मे गांधी मैदान लग बिस्कोमान टावर क सामने रेहड़ी लगेनिहार शाह क स्टाल पर शाही लिट्टी बिका रहल अछि, जेकरा दुनिया भरि स आयल लोक चटखारा ल कए खा रहल छथि। भारतीय टीम क नेतृत्व क रहल रेहड़ी पटरी क राष्ट्रिय  संगठन नेशनल एसोसिएशन आफ स्ट्रीट वेंडर्स आफ इंडिया (नासवी) क अंतर्राष्ट्रीय समन्वयक अरबिंद सिंह कहला अछि ले लिट्टी क स्टॉल पर पैघ संख्या मे...
भूमिहीन कए भेटल 2 लाख 60 हजार एकड़ क पर्चा पर्चाधारी डेढ़ लाख परिवार कए नहि भेटल जमीन पर हक नर्मदा कुमारी पटना : भूदान क जमीन पर दबंग क कब्जा बरकरार अछि, मुदा ओहि स बेसी गंभीर सवाल अछि जे आखिर भूदान क जमीनक खाता सरकार लग किया नहि अछि। बिहार राज्य भू-दान कमेटी क अध्यक्ष शुभमूर्ति सेहो एहि गप स सहमत छथि। हुनकर मानि त आब मात्र पांच-छह सौ एकड़ भूमि बांटबा लेल बचल अछि। ज्ञात हुए जे राज्य मे भू-दान क तहत 6 लाख 48 हजार एकड़ भूमि उपलब्ध कराउल गेल छल। जाहि मे दरभंगा महाराज डा कामेश्वर सिंह असगर 51 हजार एकड जमीन दान केने छलाह। कुल भूदानक जमीन मे स 2 लाख 60 हजार एकड़ भूमि क पर्चा भूमिहीन कए देल जा चुकल अछि। जखन कि तीन लाख 80 हजार एकड़ भूमि क संबंध मे स्पष्ट जानकारी सरकार लग नहि अछि। सरकारक कहब अछि जे दाता ओहन जमीन सेहो दान देने छथि जे नदी, नाला आ पहाड़ अछि। सरकारक एहि दावा क बावजूद प्राप्त जानकारी क अनुसार तीन लाख 80 हजार मे स एखन तक केवल एक लाख तीन हजार एकड़ भूमि क संपुष्टि सरकार क सकल अछि, भूदान क 2 लाख 77 हजार एकड़ जमीन एखनो लापता अछि। ओना तत्कालीन भूमि सुधार आयोग क अध्यक्ष डी बंद्योपाध्या...