सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं
पटना : बिहार मे बिजली क कमी दूर करबा लेल आ माछ उत्पादन मे राज्य कए आत्मनिर्भर करबा लेल सरकार पोखरि मे माछ आ ऊपर सोलर प्लेट स बिजली उत्पादन करबा लेल प्रक्रिया शुरू क देलक अछि। गामक छोट-पैघ पोखरि मे बहुत जल्द माछ उत्पादन क संग संग बिजली उत्पादन सेहो देखबा लेल भेटत। पशु आ मत्स्य विभाग क अधिकारी क कहब अछि जे एकरा लेल बिहार स्टेट पॉवर होल्डिंग कंपनी आॅनलाइन टेंडर निकाललक अछि आ जल्द इ योजना देखबा लेल भेटत। एहि योजना कए लागू भेला स पोखरिक अधिकतावाला मिथिला मे सस्ता आ निर्बाध बिजली कसंग संग माछ क स्वाद सेहो भेटत। ओ कहला जे पोखरि क ऊपर अलग किस्म क पैघ- पैघ सोलर प्लेट लगाउल जाएत आ नीचा माछ पोसल जाएत। वर्तमान वित्त वर्ष मे 200 स बेसी पोखरिक चयन कैल जाएत जाहि स 250 मेगावाट बिजला उत्पादन क लक्ष्य राखल गेल अछि। एकटा अन्य अधिकारी क कहब अछि जे एहि स केवल बिजली या माछ क उत्पादन नहि बढत बल्कि पैघ संख्या मे स्वरोजगार सेहो भेटत। अगर इ योजना सफल भ जाइत अछि त भविष्य मे पुरान आ जीर्ण-शीर्ण पोखरि मे सेहो इ योजना लागू कैल जा सकत।
अधिकारी कहला जे टेंडर निकाबा स पूर्व सरकार एहि योजना पर काफी शोध केलक अछि। समस्तीपुर क एकटा पोखरि मे भेल शोध स इ स्पष्ट भ गेल अछि जे जलक ऊपर बिजली उत्पादन स नीचा माछ उत्पादन पर कोनो प्रतिकूल असर नहि पड़त। शोध मे इ कहल गेल जे माछ लेल आदर्श तापमान 26 डिग्री स 32 डिग्री सेल्सियस अछि। बिहार मे गर्मी क किछु दिन छोडि कए आमतौर पर जलवायु माछ पोसबा योग्य अछि। एहन स्थिति सौर ऊर्जा स बिजली उत्पादन क सेहो आदर्श कहल जा रहल अछि। एकटा अनुमान क अनुसार बिहार मे साल भरि मे 80 दिन सूरज क रोशनी कम होइत अछि मुदा शेष दिन पर्याप्त मात्रा मे सूरज क रोशनी भेटैत अछि। ताहि लेल एहि ठाम सौर ऊर्जा स बिजली आसानी स भ सकैत अछि।
मत्स्य निदेशालय कोलकाता क मत्स्य वैज्ञानिक स एहि संबंध मे शोध करेलाक बाद एहि योजना कए लागू करबाक फैसला लेलक अछि। राज्य क पशु आ मत्स्य संसाधन मंत्री गिरिराज सिंह कहला जे इ मॉडल अनोखा प्रयोग होएत। एहि स राज्य मे बिजली क कमी दूर करबा मे मदद भेटत, ओतही राज्य माछ उत्पादन मे आत्मनिर्भर भेलाक संगहि माछ क निर्यात करबाक स्थिति मे आबि जाएत। ओ कहला जे एखन बिहार मे प्रतिदिन 44 टन माछ क खपत अछि, मुदा राज्य मे माछ क उत्पादन 30 स 34 टनक बीच होइत अछि। बाकी मांग आंध्र प्रदेश स माछ मंगा पूरा कैल जाइत अछि। पटना क मत्स्य वैज्ञानिक सेहो कहैत छथि जे राज्य मे माछ क खपत बेसी अछि, मुदा पोखरि क कमी नहि रहबाक बावजूद माछ क उत्पादन क लक्ष्य हासिल नहि भ पाबि रहल अछि। कईटा पैघ पोखरि त ओहिना पडल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे जीतलक बेस्ट क्रिटिक अवार्ड पटना । बिहार क लोकप्रिय व्यंजन लिट्टी सिंगापुर मे चलि रहल अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे अपन स्वाद क लोहा मनबा लेलक। समीक्षक मंडली लिट्टी पर लड्डू होइत एकरा बेस्ट क्रिटिक अवार्ड स सम्मानित केलथि अछि। सिंगापुर मे चलि रहल दस दिन क एहि महोत्सव क छठम दिन पटना क अशोक शाह क नाम जखन बेस्ट क्रिटिक अवार्ड लेल घोषित कैल गेल त ओहि ठाम उपस्थित बिहार मूल क करीब 200 गोटे आ भारतीय टीम क लोक खुशी स नाचए लगलाह। दुनिया भरि क एक स एक लजीज व्यंजन क बीच भारतीय पकवान कए पुरस्कार भेटला स उत्साहित इ सब महोत्सव मे भारत क नारा ‘आइये, आइये भारत के स्ट्रीट फूड आजमाइये’लगेलाह। ज्ञात हो जे पटना मे गांधी मैदान लग बिस्कोमान टावर क सामने रेहड़ी लगेनिहार शाह क स्टाल पर शाही लिट्टी बिका रहल अछि, जेकरा दुनिया भरि स आयल लोक चटखारा ल कए खा रहल छथि। भारतीय टीम क नेतृत्व क रहल रेहड़ी पटरी क राष्ट्रिय  संगठन नेशनल एसोसिएशन आफ स्ट्रीट वेंडर्स आफ इंडिया (नासवी) क अंतर्राष्ट्रीय समन्वयक अरबिंद सिंह कहला अछि ले लिट्टी क स्टॉल पर पैघ संख्या मे...
भूमिहीन कए भेटल 2 लाख 60 हजार एकड़ क पर्चा पर्चाधारी डेढ़ लाख परिवार कए नहि भेटल जमीन पर हक नर्मदा कुमारी पटना : भूदान क जमीन पर दबंग क कब्जा बरकरार अछि, मुदा ओहि स बेसी गंभीर सवाल अछि जे आखिर भूदान क जमीनक खाता सरकार लग किया नहि अछि। बिहार राज्य भू-दान कमेटी क अध्यक्ष शुभमूर्ति सेहो एहि गप स सहमत छथि। हुनकर मानि त आब मात्र पांच-छह सौ एकड़ भूमि बांटबा लेल बचल अछि। ज्ञात हुए जे राज्य मे भू-दान क तहत 6 लाख 48 हजार एकड़ भूमि उपलब्ध कराउल गेल छल। जाहि मे दरभंगा महाराज डा कामेश्वर सिंह असगर 51 हजार एकड जमीन दान केने छलाह। कुल भूदानक जमीन मे स 2 लाख 60 हजार एकड़ भूमि क पर्चा भूमिहीन कए देल जा चुकल अछि। जखन कि तीन लाख 80 हजार एकड़ भूमि क संबंध मे स्पष्ट जानकारी सरकार लग नहि अछि। सरकारक कहब अछि जे दाता ओहन जमीन सेहो दान देने छथि जे नदी, नाला आ पहाड़ अछि। सरकारक एहि दावा क बावजूद प्राप्त जानकारी क अनुसार तीन लाख 80 हजार मे स एखन तक केवल एक लाख तीन हजार एकड़ भूमि क संपुष्टि सरकार क सकल अछि, भूदान क 2 लाख 77 हजार एकड़ जमीन एखनो लापता अछि। ओना तत्कालीन भूमि सुधार आयोग क अध्यक्ष डी बंद्योपाध्या...