अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे जीतलक बेस्ट क्रिटिक अवार्ड पटना । बिहार क लोकप्रिय व्यंजन लिट्टी सिंगापुर मे चलि रहल अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे अपन स्वाद क लोहा मनबा लेलक। समीक्षक मंडली लिट्टी पर लड्डू होइत एकरा बेस्ट क्रिटिक अवार्ड स सम्मानित केलथि अछि। सिंगापुर मे चलि रहल दस दिन क एहि महोत्सव क छठम दिन पटना क अशोक शाह क नाम जखन बेस्ट क्रिटिक अवार्ड लेल घोषित कैल गेल त ओहि ठाम उपस्थित बिहार मूल क करीब 200 गोटे आ भारतीय टीम क लोक खुशी स नाचए लगलाह। दुनिया भरि क एक स एक लजीज व्यंजन क बीच भारतीय पकवान कए पुरस्कार भेटला स उत्साहित इ सब महोत्सव मे भारत क नारा ‘आइये, आइये भारत के स्ट्रीट फूड आजमाइये’लगेलाह। ज्ञात हो जे पटना मे गांधी मैदान लग बिस्कोमान टावर क सामने रेहड़ी लगेनिहार शाह क स्टाल पर शाही लिट्टी बिका रहल अछि, जेकरा दुनिया भरि स आयल लोक चटखारा ल कए खा रहल छथि। भारतीय टीम क नेतृत्व क रहल रेहड़ी पटरी क राष्ट्रिय संगठन नेशनल एसोसिएशन आफ स्ट्रीट वेंडर्स आफ इंडिया (नासवी) क अंतर्राष्ट्रीय समन्वयक अरबिंद सिंह कहला अछि ले लिट्टी क स्टॉल पर पैघ संख्या मे...












टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें